संस्था परिचय
संस्थाक परिचय
मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली क्षेत्र मे स्थापित एकटा स्ववित्त पोषित संस्था अछि जे संविधानक आठम अनुसूचीमे शामिल मैथिली भाषाक संरक्षण ओ संवर्धन संग एकर निरंतर विकासक दिशामे काज करैत अछि। दिल्ली क्षेत्रमे रहनिहार लाखो प्रवासी मैथिलक बीच मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृति केर संवर्द्धन, प्रचार-प्रसार आ विकासक उद्देश्य सँ मैसामक स्थापना अंतरराष्ट्रीय मातृभाषा दिवसक अवसर पर 21 फरवरी, 2015 कें एकटा स्वायत्तशासी सार्वजनिक संस्थाक रूपमे कयल गेल। अंतरराष्ट्रीय मातृभाषा दिवस केर अवसर पर राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली स्थित कॉन्स्टिट्यूशन क्लबमे आयोजित कार्यक्रममे मैसामक स्थापना लेल प्रस्ताव श्री संजीव सिन्हा रखने छलाह आ एकर अनुमोदन कार्यक्रम में उपस्थित मैथिली अनुरागी दर्शक के थोपड़ीक गड़गड़ाहट बीच श्री हेमन्त झा कयने छलाह। !
कार्यक्रम
अपूर्वा पत्रिका
अपूर्वा अर्धमासिक पत्रिका
अपूर्वा अर्धमासिक पत्रिका
अपूर्वा अर्धमासिक पत्रिका
मैथिली साहित्य महासभा
अपूर्वा अर्धमासिक पत्रिका
मैथिली साहित्य महासभा



