'मैसाम सम्मान-2025'मैथिलीमे सुदीर्घ साहित्य साधना
एहि वार्षिक आयोजनमे मैथिलीमे सुदीर्घ साहित्य साधना लेल वरिष्ठ साहित्यकार डॉ वीरेंद्र मल्लिक कें पहिल 'मैसाम सम्मान-2025' प्रदान कयल गेल। एहि सम्मानक अंतर्गत हुनका मैसाम दिस सँ नगद राशि 31000/- रुपयाक संग मिथिला चित्रकला सँ सुसज्जित पाग-दोपटा आ प्रशस्ति पत्र प्रदान कयल गेल।